Posts

Showing posts from September, 2020

सिन्दुर- पिठार

Image
  सिन्दुर- पिठार #घर_आंगन_के_सजाबई बला एहि पौधा के नाम त नैहि बुझल य मुद्दा देखै म अरिकेन्चन पता जेकां लागै य। प्राचीन कालक किछ वृतांत लोक सब के मुँह से सुनै छी जे माता भगवती सब द्वारा एहि पता क गौरीपूजन में उपयोग कइल गेल अइछ। #औरो कोनो प्राचीन कालक वृतांत अहाँ सब के बुझल अइछ त जरूर कहब। एकर नाम छै सिन्दुर- पिठार । सीताचंदनक पात  सेहो कहैत छी । लोक सब के मुँह से सुनै छी जे :  ई मैना पत्ता छैक,हमर सब दिस कहबी अछि जे सीताजी एहि पात पर सिंदूर पिठार लगा क मधुश्रावणी पूजने छैथ,ताहि कारण छीट वला पात पर पूजा नै होइत छैक । अक्षत चन्दन महादेव छिटेन छयथ । Post Credit: H.P. Mishra Like our page:  https://www.facebook.com/Ucchati

अलाय पलाय के साग 😊

Image
 अलाय पलाय के साग 😊 जखन  चैत बैसाख और शुरुआतक आसिन मास रहै छै त कोनो मुख्य साग  सब अनुपलब्ध भ जाइत छै ,मुदा विना सागक भोजन संपुर्ण  कोना तै ं बारी झारी  मे अनेरुआ जनमल सागक प्रजाति सब से साग बनैत ऐछ । कतौ दू मूरी गेनहारी ,फुलगेनहारी कतौ वनपलांकी ,त कतौ भुटका ।चारि मूरी रैचीक त दसटा पात तिलकोर ,  किछु गदहपरैन  त कनेक अमरोरा त कतौ जनयल बथुआ  ,दू पात मुलायम कदीमा क वा कोबी चारि पात आलूक  ,पिपरा एवक्रमेण एक सांझक सागक ओरियान। ई एक तरहक अति महत्वक जड़ी बूटी सेहो भेल जकरा अलग स बनेबै त स्वादिष्ट ओतेक नै होयत मुदा संग मिला देबै त बारह मसाला तेरह स्वाद 😊 हम आइ चारि टाके मिलेलौं ...करमी ,कन्ना तिलकोर और गदहपुरैन । कनिक तेल मे मेथी हिंगक  मेरचाई ,तेजपात केफोरन द के भुजि ली बैन गेला क बाद उपर स तेल सानि ,हरियर मेरचाइ गूरि के सुवैइद सुवाइद के खाइ ।कांच तेल जरुर स मिलाबी ई साग महिले लोकनिक जोगार आ स्वादो हुनके लोकनि के लगैत छैन्ह कदिमा गदहपुरैन तिलकोरक कर्मी मिलाकए साग एतेक सागक नामो नय सुनने छलो... सागक संगम बहुत स्वादिष्ट साग अछि । संभवतः एकरे अन्...

बेजन्त्रिक / सर्वजाया फूल

Image
 बेजन्त्रिक / सर्वजाया फूल #बेजन्त्रिक_फूल_अपन_फ़ुलवारी_में ! एकर बहुत महत्त्व छै । ई फूल सब देवता केप्रिय छैन खाश के भगवती और विष्णुरुप के । एकर माला के महत्व रत्न स वेसी फलदायी छै । बिष्णु भगवान के आ राधा कृष्ण सीता राम के बहुत प्रसिद्ध छनि .. कतेको गीत में उर बैजयंती मालक बर्णन अछि जे भगवान सभक सुन्दरता बढबैत छन्हि । Photo Credit : H. P. Mishra Like Our Page : https://www.facebook.com/Ucchati