Posts

Showing posts with the label अलाय पलाय के साग

अलाय पलाय के साग 😊

Image
 अलाय पलाय के साग 😊 जखन  चैत बैसाख और शुरुआतक आसिन मास रहै छै त कोनो मुख्य साग  सब अनुपलब्ध भ जाइत छै ,मुदा विना सागक भोजन संपुर्ण  कोना तै ं बारी झारी  मे अनेरुआ जनमल सागक प्रजाति सब से साग बनैत ऐछ । कतौ दू मूरी गेनहारी ,फुलगेनहारी कतौ वनपलांकी ,त कतौ भुटका ।चारि मूरी रैचीक त दसटा पात तिलकोर ,  किछु गदहपरैन  त कनेक अमरोरा त कतौ जनयल बथुआ  ,दू पात मुलायम कदीमा क वा कोबी चारि पात आलूक  ,पिपरा एवक्रमेण एक सांझक सागक ओरियान। ई एक तरहक अति महत्वक जड़ी बूटी सेहो भेल जकरा अलग स बनेबै त स्वादिष्ट ओतेक नै होयत मुदा संग मिला देबै त बारह मसाला तेरह स्वाद 😊 हम आइ चारि टाके मिलेलौं ...करमी ,कन्ना तिलकोर और गदहपुरैन । कनिक तेल मे मेथी हिंगक  मेरचाई ,तेजपात केफोरन द के भुजि ली बैन गेला क बाद उपर स तेल सानि ,हरियर मेरचाइ गूरि के सुवैइद सुवाइद के खाइ ।कांच तेल जरुर स मिलाबी ई साग महिले लोकनिक जोगार आ स्वादो हुनके लोकनि के लगैत छैन्ह कदिमा गदहपुरैन तिलकोरक कर्मी मिलाकए साग एतेक सागक नामो नय सुनने छलो... सागक संगम बहुत स्वादिष्ट साग अछि । संभवतः एकरे अन्...