गामक जीवन के मिठास : देसी माछ | अपूर्व स्वाद जँ सिलौठी पर पीसल मशल्ला आ पारम्परिक चुल्हा पर बनल



'पग-पग पोखरि माछ मखान' 

 मिथिला के खान-पान : लोक के गामक जीवन के मिठास के दिस अनायास खींच लैत छै।

चंन्ना पोठी गइचा भुल्ला कौआ इचना आ विविध माछक संग कांकोरअंडायल माराक संग गोटपङ्गरा पोठी। सिंधी, कबई, गैंची, गरई, टेंगरा । गैंची-पोठी के अलावे गरई, सिंगही आ गोटे-आधे सूही । 

अपूर्व स्वाद जँ सिलौठी पर पीसल मशल्लाआ पारम्परिक चुल्हा पर बनल इ टेंगरा आ छही माछ भेटय।

Photo Credit : जयचन्द्र झा (पघारी)
___________________________________________________________________________________

'माछ'
उठू यौ बौआ भेलै भोर
माछक दर्शन कए होउ विभोर !

बाबू अनलन्हि अछि बाजार सँ
सिंघी, मांगुर माछ दुइ सेर
पोठी, टेंगरा नहि थिक बौआ
जे देखि खसै अछि आँखि सँ नोर
उठू यौ बौआ भेलै भोर ------

मिथिला थिक ई माछक धरती
जतय नदी, पोखरि अछि पाटल
माछ, मखान सँ भरल रहैत अछि
गामक पोखरि, जलचर चहुँओर
उठू यौ बौआ भेलै भोर -------

माछक नाम सुनितहि भरि जाइछ
मुंह मे पाइन बनि टपकै लार
बड़ प्रिय लागय रोहु, बुआरी,
सिंही, मांगुर आ कबई केर झोर
उठू यौ बौआ भेलै भोर-------

टेंगरा, पोठी बड़ होइछ सुअदगर
कांटक संग झट खाइ चिबाय
पोसल विलाइ बैसल भंसाघर
मारय कनखी बनि माछक चोर
उठू यौ बौआ भेलै भोर-------

बाबा पोखरि अछि भरल माछ सँ
नैनी, केटला आ सिल्वर कार्प
गरै, गैंची, झींगा, सौरा अछि
जे बिनु कांट आ खंड बेजोड़
उठू यौ बौआ भेलै भोर-------

माछ भात थिक उत्तम भोजन
जे बढबै मिथिला केर मान सम्मान
बिनु माछ की रुचिकर भोजन
होयत पाहुन केर स्वागत भरि पोख
उठू यौ बौआ भेलै भोर-------

पहिने खाउ किछु तरल माछ आ
भूजल चूरा संग हरिअर मिरचाइ
तखन ने बूझब स्वाद माछ केर
बिनु तेल मसाला नहि लगौने झोर
उठू यौ बौआ भेलै भोर -------

मिथिला केर ब्राह्मण पंडित सभ
त्यागथि कोनो नहि माछक भोज
खाय माछ पुनि करथि अर्चना
नहि छन्हि कनियो किछु जी पर जोर
उठू यौ बौआ भेलै भोर --------

आदित्य 'अरविन्द'

-----------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------

Comments

Popular posts from this blog

' अरिकंचन / एरकंचन ' निक लागैया की नै?