Popular posts from this blog
कतेक बदलि गेल संसार
कतेक बदलि गेल संसार *************** चाउरक बदलेन माछ भेटैत छल, आमक बदलेन खरबूजा, झिल्ली कचरी कतय बिलाओल, सांझ पङैत कंसारक भूजा। कतेक बदलि---------। कतय बिलाओल बखारी मुनहर, कतय बिलाओल संदूक आ कोठी, कतय बिलाओल उखैर समाठ मेह, कतय बिलाओल जांत ओ ढेकी। कतेक बदलि---------। भोर-सांझ दुपहर छल लोकक हलचल, भूत-प्रेत चूरीणक डरे तैयो सहमल, तांत्रिक-वैद ओझा सबहक भरमार, जङी-बूटी, बुढ-पुरानक नुस्खा उपचार। कतेक बदलि---------। कतय गेलैय सांचीक धोती कुर्ता, मिरजई-पाग,टीक ठोप आ दुपट्टा, पायर मे खङाम, माथ पर मुरेठा, नै मौगी के घोघ,नै पुरूषक खखसबाक वेवहार। कतेक बदलि---------। आमक गाछी मे नव बांसक झूला, सिंगी-पताली,चोरानुकी आ रासलीला, जुङि-शीतल मे बांसक फुचकारी, करीन पटबय लेल खेती के औजार। कतेक बदलि---------। कतय बिलाओल हुक्का लोली, फगुआ गीत, रंग- अबीर संग माटिक होली, सामा-चकेबा,झिलहोरि आ पराती, नव कुट्टी चूङा संग गुङक वेवहार। कतेक बदलि---------। डमरू बाजय , सबमीलि कय दौङी, के आंगा, के पांछा, सब छौङा छौङी, वाइसकोप सँ सिनेमा देखी बारम्बार, भाट-पमरिया,गुदरिया बाबा के भरमार...
कन्ना पात आ चकोर के फूल | विशिष्ट ज्ञानवर्धन
कन्ना पात कोनो ने कोनो रुप मे साग ,भोजनक हिस्सा बनबे करैत छै चाहे सावन रहौ वा भादव 😀 हे लीय चिनहू कोन साग छी और कोना खायल जायत बहुत मोन प्रसंन्न भेल जे लगभग सब के जानकारी मे ऐछ जे इ तैर के खायल जाइत छै आउ आब एकर जानकारी ली जे ई कियैक अपन सबहक खान पान मे जगह बनौनै ऐछ । आयुर्वेद उपचार स बेसी खान पानक पद्धति छीयै । जकर बहुत ब्याख्या त नै कतौ भेटै छै लेकिन परंपरा स ओ विहित और निहित रहै छै । एहि कन्नापातक के बारे मे जहां तक हमरा पता ऐछ जे ई लीवर के टौनिक छीयै । एकर गुण शीतल होइत छै और मुत्रल तैं ई प्रमेह मे फायदा करैत छै । शरीर मे भीतर या बाहर कतौ जदि सुजन होइ त एकर पचांग क्वाथ देल जाइत छै । पेटक जलन ,मासिक धर्मक गरवरी ,बांझपन ,मुत्रकृच्छ ,त्वचा रोग मे ई उपयोगी छै । आदिवासी सब एकरा इम्यूनीटी बुस्टर के रुप मे मानै छै। दवाइ के प्रयोग त वैद्यक उपयोगक वस्तु भेल ।लेकिन अपन सबहक पारंपरिक खानपन मे सब समैया वस्तुक समावेश कैल गेल छै जकर पालन केला स बहुत छोट मोट समष्या पैघ भके नै उभरै छै । तैं जे समैया उत्पाद छै ओकरा अपन खानपाश मे शामिल करी और एहि स बेसी जानकारी हो त उपलब्ध कराबी 🙏 -----...

Comments
Post a Comment