कन्ना पात आ चकोर के फूल | विशिष्ट ज्ञानवर्धन
कन्ना पात
कोनो ने कोनो रुप मे साग ,भोजनक हिस्सा बनबे करैत छै चाहे सावन रहौ वा भादव 😀 हे लीय चिनहू कोन साग छी और कोना खायल जायत
बहुत मोन प्रसंन्न भेल जे लगभग सब के जानकारी मे ऐछ जे इ तैर के खायल जाइत छै आउ आब एकर जानकारी ली जे ई कियैक अपन सबहक खान पान मे जगह बनौनै ऐछ ।
आयुर्वेद उपचार स बेसी खान पानक पद्धति छीयै ।
जकर बहुत ब्याख्या त नै कतौ भेटै छै लेकिन परंपरा स ओ विहित और निहित रहै छै । एहि कन्नापातक के बारे मे जहां तक हमरा पता ऐछ जे ई लीवर के टौनिक छीयै ।
एकर गुण शीतल होइत छै और मुत्रल तैं ई प्रमेह मे फायदा करैत छै ।
शरीर मे भीतर या बाहर कतौ जदि सुजन होइ त एकर पचांग क्वाथ देल जाइत छै ।
पेटक जलन ,मासिक धर्मक गरवरी ,बांझपन ,मुत्रकृच्छ ,त्वचा रोग मे ई उपयोगी छै ।
आदिवासी सब एकरा इम्यूनीटी बुस्टर के रुप मे मानै छै। दवाइ के प्रयोग त वैद्यक उपयोगक वस्तु भेल ।लेकिन अपन सबहक पारंपरिक खानपन मे सब समैया वस्तुक समावेश कैल गेल छै जकर पालन केला स बहुत छोट मोट समष्या पैघ भके नै उभरै छै ।
तैं जे समैया उत्पाद छै ओकरा अपन खानपाश मे शामिल करी और एहि स बेसी जानकारी हो त उपलब्ध कराबी 🙏
-----------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------
चकोर के फूल
इ मिथिलाक बाड़ी झाड़ी में चकोर के फूल होइत अछि आ एकर तरुआ बड सुअदगर होइत अछि ।
अहि फूलक तरुआ सेहो बड्ड नीक होइत अछि ।
Like and Share
Ucchati : https://www.facebook.com/Ucchati



Comments
Post a Comment